Friday, December 23, 2011

डिजेल प्लान्ट लावयके सरकारी निर्णयप्रति सभासदसबहक आपत्ति


८ पुष काठमाण्डौ । लोडसेडिङ कम करय डिजेल प्लान्ट लावयके सरकारक निर्णयप्रति सभासदसब आपत्ति जनौलक अछि ।

व्यवस्थापिका संसदके सार्वजनिक लेखा समितिक आजुक बैसारमे सभासदसब थर्मल प्लान्टके आत्मघाती विकल्पमे नहि जाए सरकारके सुझाव देलक अछि । सभासदसब नेपाल सहय नहि सकय जका थर्मल प्लान्टके बात केनाइमे तेल माफियाके चलखेल रहल आरोप लगौलनि । सभासदसब जलविद्युत विकास करय  लेल कएलगेल आयोजनाके पूर्ण क्षमतामे सन्चालन करय या बाध्यात्मक अवस्था आएत तऽ कोइलासँ विद्युत् उत्पादनके विकल्प चुनय सरकारके सुझाव देलक अछि । पूर्व ऊर्जा राज्यमन्त्री रामजीप्रसाद शर्मा थर्मल प्लान्ट लावयके निर्णय राष्ट्रघाती हाएत चेतावनी देलनि ।

राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक प्रकाशचन्द्र लोहनी, काङ्गे्रसके धनराज गुरुङ सहितक सब थर्मल प्लान्टके निर्णय नहि करय सरकारक ध्यानाकर्षण करौने छलथि ।

बैसारमे ऊर्जा मन्त्रालयके सचिव बालानन्द पौडेल डिजेलसँ विद्युत् उत्पादन केलासँ प्रति मेगावाट २१ रुपैयाँ परत जानकारी करौलनि । नेपाल विद्युत् प्राधिकरणके निमित्त कार्यकारी निर्देशक रामेश्वर यादव प्राधिकरण डिजेल प्लान्टके विद्युत्के भार सहय नहि सकत बतौलनि ।



No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन