Friday, December 23, 2011

राजस्थान में ११ रोगीके मृत्यु २०७ डाक्टर गिरफ्तार


८ पुष राजस्थान । राजस्थानमें इलाजके अभाव में ११ गोटे रोगीके मृत्यु भेलाबाद ९ टा डॉक्टरके निलंबित कऽ देल गेल अछि तऽ २०७  डॉक्टरके गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

डॉक्टर सहित रेजीडेंट आ सीनियर रेजीडेंट के सामूहिक अवकाशसँ काल्हि चिकित्सा व्यवस्था करिब  ठप रहल । राजस्थानमें सरकारी डॉक्टरसबहक हड़तालके कारण इलाजक अभावमें ११ रोगीके मृत्यु भेल अछि । डॉक्टरसबहक हड़ताल आइ सेहो जारी अछि ।

चिकित्सा विभाग अखिल राजस्थान सेवारत चिकित्सक संघक महासचिव डॉ. नसरीन भारती समेत ९ गोट डॉक्टरके निलम्बित केलक अछि । निलम्बित डॉक्टरसबमें भारतीके अलावा टोंक सँ डॉ. राकेश गुप्ता, डॉ. एस. के. बृजेश, डॉ. अशोक चौधरी , अलवर सँ डॉ. राजकुमार सक्सेना, डॉ. एम. सी. जैन, डॉ. जे. एस. शर्मा, सिरोही सँ डॉ. पी. सी. कोठारी आ डॉ. प्रदीप चौहान रहल अछि ।

डॉक्टरसब तलब आ सुविधा बढ़ावयके मांग करैत हड़ताल कऽ रहल अछि । सरकार ओकरसबहक किछ मांग मानि लेने अछि मुदा डॉक्टरसब अखनो हड़ताल कयिये रहल अछि । एकर सामाधानक लेल सरकार ६०० नयाँ डॉक्टरके नियुक्ति केने अछि । सेना, बीएसएफ आ रेडक्रॉसके डॉक्टरके सेहो बजाओलगेल अछि ।

एम्हर आइ ६ टा मेडिकल कॉलेजके शिक्षक आ अस्पतालके सपोर्टिंग स्टाफ सेहो समर्थन करैत छुट्टी पर जाएके अल्टीमेटम देने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन