Friday, December 23, 2011

आयल निगमके डेढ अर्ब


काठमाडौ, पुस ८ । पेट्रोलियम पदार्थके आपूर्ति सहज बनावय सरकार तत्काल आयल निगमके डेढ अर्ब रुपैयाँ देवय लागल अछि । सरकार कम्तीमे तीन महिना पेट्रोलिय पदार्थके अभाव होवय नहि देवय आयल निगमके रकम देवय लागल अछि ।

प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके सक्रियतामे आइ बैसल सरोकारबाला मन्त्री,सचिव तथा आयल निगमके पदाधिकारीसबसंगके बिमर्शबाद सरकार इ निर्णय लेलक अछि । किछ दिन एम्हर पेट्रोलियम पदार्थके अभाव होवय लागल अछि ।

अर्थमन्त्री वर्षमान पुन पेट्रोलियम पदार्थके सहज आपूर्तिके लेल अर्थ मन्त्रालयसँ ओ रकम देवय लागल जानकारी देलनि । अहिसँ आगु नागरिक लगानी कोष आ कर्मचारी संचयकोषसँ सेहो निगमके लेल ऋणके व्यवस्था मिलाओलगेल ओ बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन