डडेलधुरा, अगहन १८ । कांग्रेस नेता एवं पूर्वप्रधानमन्त्री शेरबहादुर देउवा माओवादी फर्जी लडाकुके नाममे अरबौ रकम दुरुपयोग केने आरोप लगौलनि अछि । ओ अहि विषयमे कांग्रेस पहिनेही बात उठाबि रहल समय अन्य दल चाँखि नहि देखौने उल्लेख कएलनि ।
आइ गृहजिल्ला डडेलधुरामे प्रेस युनियनके पत्रकार सम्मेलनमे नेता देउवा ६ हजार ५ सयसँ बेसी लडाकुके सेनामे भर्ना नहि कएल जाएत स्पष्ट कएलनि ।
माओवादी नेतासब फेउर सत्ता कब्जाके बात कऽ क कार्यकर्तासबके सर्बसत्ताबादके दिवास्वप्न देखौने बतबैत देउवा आबो सर्बसत्ताबादी चरित्र देखाओत तऽ माओवादीए समाप्त भऽ जाएत चेतावनी देलनि । माओपादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालक केहनो अवस्थामे सत्ता कब्जा करयके कहबी प्रति टिप्पणी करैत देउवा कहलनि जे, इ सर्बसत्ताबादके नशा नहि उतरल मात्र अछि ।’
आब कोनो शक्ति देशमे सर्वसत्ताबाद लादय नहि सकत कहैत देउवा कहलनि जे, ‘माओबादी लडाकुसबहक समायोजन प्रकृया चलिरहल समय नेतृत्वेसँ एहन गैरजिम्मेवार बात औनाइ शान्ति प्रकृयाके हितमे नहि अछि ।
देउवा माओबादी लडाकुसबहक समायोजन आ पुनर्स्थापनाबाद मात्रे संविधान जारी होबय सकत बतौलनि । लडाकुसबहक ब्यबस्थापनके बाद मात्रे राष्ट्रिय सहमतिक सरकार निर्माण हाएत बतबैत देउवा ओकरबाद सरकार नेपाली कांग्रेसक नेतृत्वमे बनत ठोकुवा कएलनि ।
No comments:
Post a Comment