Sunday, December 04, 2011

अपमानपूर्वक सरुवा केलासँ असन्तुष्ट सचिवद्वारा राजीनामा


काठमाडौं , अगहन १८ । अनिवार्य अवकास पाबय डेढ महिना मात्रे बाँकी रहल समय अपमानपूर्वक सरुवा कएलगेल कहैत शिक्षा सचिव शंकर पाण्डे राजीनामा देलनि अछि ।

अगहन १ गतेके मन्त्रिपरिषदक बैसारसँ पाण्डेके प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे सरुवा केने छल । घरायसी कारण देखबैत पाण्डे आइ मुख्य सचिव माधवप्रसाद घिमिरेके राजीनामा बुझौलनि अछि ।

पाण्डे ५८ वर्ष सेवा अवधि पूरा कऽ आगामी पुस १९  गते अवकास पाबि रहल छथि । अनिवार्य अवकास पाबय एक वर्षसँ कम समय रहल व्यक्तिके ओकर सहमति बिना बदली करय नहि मिलयके प्रस्ट व्यवस्था निजामती ऐनमे अछि । मुदा सरकार हुनका पूर्व जानकारी बिना देनेही बदली केलक अछि ।

प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयके सचिव गोविन्द कुसुम अनिवार्य अवकास पौलाबाद रिक्त पदमे पाण्डेके बदली कएलगेल जनौलनि अछि ।

 अहिबीच शिक्षा सचिव पाण्डेके आइए मन्त्रालयसँ कर्मचारी बिदाई केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन