Sunday, December 04, 2011

अर्थमन्त्रीके बाट रोकयबला युवासंघक कार्यकर्ता आ पुलिसबीच झडप


काठमाडौं, अगहन १८ । दक्षिण कोरियासँ घुरल अर्थमन्त्री वर्षमान पुनके बाट रवकयके क्रममे युवा संघक कार्यकर्ता आ पुलिसबीच झडप भेल अछि ।

युवा स्वरोजगार कोषके रकम माओवादी नेता रहल संस्थाके मनोमानी ढँगसँ देने कहैत आन्दोलित युवा संघक कार्यकर्ता पुनके त्रिभूवन विमानस्थल आगुए रोकयके तयारी केने छल ।

युवा संघ माओवादी नेतासबके वाँटलगेल १० करोड रुपैयाँ फिता करय, सहकारीके माध्यमसँ माओवादी नेता कार्यकर्तासबके वाँटय लागल सम्पुर्ण फाइलसब तत्काल रोकय आ जन आन्दोलन २०६२ / ६३ मे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केने प्रमुख राजनीतिक दलक युवासब सहित सरोकारवालासब संलग्न रहल एक प्रभावकारी अनुगमन संयन्त्र तत्काल गठन करय माँग केलक अछि ।

माँग पूरा नहि हाएत तऽ काल्हिसँ दोसर चरणक कार्यक्रम घोषणा करब युवा संघक अध्यक्ष महेश बस्नेत जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन