Sunday, December 04, 2011

भारतीय सिनेमा के सदाबहार अभिनेता देवानंद के निधन


१८ अगहन जनकपुरधाम । भारतीय सिनेमाके सदाबहार अभिनेता देवानंदके लंदनमें हृदयघातक कारण ८८ बर्षक उमेरमे आइ निधन भेल अछि ।

समाचार एजेंसी पीटीआईके अनुसार देवानंद किछ दिनसँ अस्वास्थ्य रहलासँ ओ इलाज कराबऽ लंदन गेल छलथि ।

देवानंद सन् १९४६ में फ़िल्मी दुनिया में अपन क़दम रखने छलथि आ ओ फ़िल्म हम एक हैं सँ शुरुवात केने छलथि । अहिके बाद कतेकौ सिनेमामे ओ अभिनय करैत वर्ष बाद फिल्म जिद्दीमे काज केलाबाद ओ पैघ अभिनेताके रुप में स्थापित भऽ गेलथि ।

देवानंद अपन अभिनय करियरमे पेइंग गेस्ट, बाज़ी, ज्वेल थीप, सीआईडी, जॉनी मेरा नाम, अमीर गरीब, हरे रामा हरे कृष्णा आ देस परदेस जेहन कतेकौ सुपरहिट फिल्मसब देलनि ।

ओकरबाद सन् १९४९ में देवानंद  नवकेतन फ़िल्म प्रोडक्शन शुरु केलनि आ फ़िल्म  निर्माणक दिस सेहो केन्द्रित भऽ गेलथि । ओ ३५ सँ बेसी फ़िल्मके निर्माण केने छथि ।

फ़िल्ममें हुनकर योगदानके देखैत हुनका सन् २००१ मे पद्म भूषण आ २००२ में दादा साहब फाल्के पुरस्कार सँ सेहो सम्मानित कएल गेल छलनि ।

अहिना देवानंदके २ टा फ़िल्मफेयर पुरस्कार सेहो भेटद छन्हि १९५८ मे  फ़िल्म काला पानी के लेल आ १९६६ मे फिल्म गाइड के लेल ।

१९९३ में हुनका फिल्मफेयर लाइफटाइम एचीवमेंट अवार्ड देल गेल रहन्हि । ओ अभिनेता मात्रे नहि छलथि कि ओ फ़िल्मके निर्देशन आ प्रोड्यूस सेहो केलनि ।

देवानंदके जन्म अविभाजित पंजाबके गुरदासपुर जे अखन  पाकिस्तानक नरोवल जिला में पडैत अछि । ओतय २६ सितंबर, १९२३ में भेल रहन्हि । देवानंदके माता-पिता हुनका धर्मदेव आनंद नाम देलनि

कहल जाइत अछि जे सदाबहार अभिनेता देवानंद कोनो समय अभिनेत्री जीनत अमान सँ एक तरफा प्रेम करैत छलथि मुदा शो मैनराजकपूरके प्रति जीनतके लगावके देखैत हुनकर दिल टुटि गेलनि ।
ओ जीनत अमान बहुत प्रेम कएलाक कारणसँ ओ अपन फिल्म हरे रामा हरे कृष्णामें हुनका अभिनेत्री बनौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन