Saturday, December 17, 2011

रौतहटमे ठण्डीसँ मृत्यु होवयबलाके सङ्ख्या ४

२ पुष, रौतहट । रौतहटमे ठण्डीसँ कठुवा कऽ मरयबलाके सँख्या ४ पहुँचल अछि ।




रौतहटके सन्तपुर मटिऔन गाविस–३ के ८० वर्षक वृद्धा निमुनिया देवी, पथराबुधराम गाविस–२ के ननकु कुम्हाल, गम्हरिया गाविस–६ लक्ष्मीपुर टोलके ४५ वर्षक श्याम ठाकुर आ धरमपुर गाविस–३ धनगढी टोलके ५५ वर्षक उपेन्द्र झाके ठण्डीसँ कठुवा कऽ मृत्यु भेल अछि ।



अहिना, आगि तापय लेल बारने घुरके आगि पसरि कऽ रौतहटके कटहरिया गाविस–८ के चुल्हाइ साहके मालजालक फुसके घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि । जाड बढलाबाद रौतहट जिल्लाके सामुदायिक विद्यालयसब एक सप्ताहके लेल बन्द कएलगेल अछि ।



एम्हर बढैत ठण्डीके ध्यानमे रखैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी, जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी आ सशस्त्र सिमा सुरक्षा बल महोत्तरीके सहयोगमे जलेश्वरके नगरपालिका चौक, महादेव मन्दिर आगु, महेन्द्र चौक, मटियानी चौक सहितक चौकमे आगि तापय लेल ढेँगसबहक ब्यबस्था कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन