Saturday, December 17, 2011

माओवादीसंगके वार्ताक बाद गठबन्धन मजबुत बनावय मोर्चा सहमत

काठमाडौ, पुस २ । सत्तारुढ माओवादी आ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चा सरकारके आरो मजबुत बना कऽ आगु बढय सहमत भेल अछि । सरकार निर्माणक समय भेल ४ बुँदे सहमतिके कार्यान्वयन करैत सरकारके मजबुत बनावयके पक्षमे दुनु सहमत भेल अछि ।


प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे आइ भेल बैसारमे माओवादी ४ बुँदे कार्यान्वयनके प्रतिवद्धता जनौलाबाद सरकारप्रति असन्तुष्ट देखलगेल मोर्चा सकारात्मक भेल अछि । नेपाली सेनामे अलगे ईकाई बना कऽ मधेशी युवासबके भर्ना लेबयके, समावेशी विधेयक जल्दिए लावयके, नागरिकता समस्याके सम्बोधन करय सहितक विषयमे सत्तारुढ दु घटकबीच सहमति भेल अछि ।

४ बुँदे सहमति कार्यान्वयके लेल दुनु पक्षबीच भेल वार्ता सकारात्मक भेल मधेशी जनअधिकार फोरम(गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष जयप्रकाश गुप्ता जनौलनि अछि । अहिसँ आगु गुप्ता प्रधानमन्त्रीके काम कारवाही प्रति आपत्ति जनबैत मोर्चा गठबन्धनमे रहय नहि रहय बारेमे पुर्नविचार करय सकयके बतौने छल ।

बैसारमे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई, माओवादी अध्यक्ष दाहाल तथा मधेशी जनअधिकार फोरम(लोकतान्त्रिक)के अध्यक्ष एंव उपप्रधानमन्त्री विजय गच्छदार, फोरम(गणतान्त्रिक)के अध्यक्ष गुप्ता, तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, तमलोपा-नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र राय आ सदभावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो सहभागी छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन