Thursday, January 05, 2012

पूर्व लडाकुद्वारा गाडी तोडफोड आ आगजनी, जनजीवन प्रभावित


मकवानपुर, पुस २१ । बन्दक अवज्ञा केने कहैत बहीर्गमनमे परल पूर्व लडाकुसब आइ भिन्सरेसँ किछ गाडीमे तोडफोड करयके सँगहि आगजनी सेहो केलक अछि ।

मकवानपुरस्थित युनिलिभर कम्पनीके मजदूर कर्मचारी लेवय निकलल गाडीके जरा कऽ क्षति पहुँचौलक अछि । ना ४ ख ४३४२ नम्बरक ओ बसके भिन्सरे पौने ५ बजे जरौने छल ।

ओ बसके चालकके पिटपाट केने आ सहचालकसंग रहल दु टा मोवाइल सेहो छिनने पुलिस जनौलक अछि ।

अहिना पूर्व पश्चिम राजमार्गमे सेहो किछ गाडीसब तोडफोड कएलगेल आ एकटा ट्याक्टरमे आगजनी कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । अपनासबके सेहो प्रमाणिकरणमे परल लडाकु जका सुविधा देवयके माँग करैत राष्ट्रसंघीय मिसन (अनमिन)  लडाकु होवय आयोग्य ठहरौलाबाद बहिर्गमनमे परल पूर्व लडाकुसब आन्दोलन कऽ रहल अछि ।

बर्हिगमनमे परल पूर्व लडाकुसब आब्हान केने बन्दक कारण बागलुङके जनजीवन प्रभावित भेल अछि । बन्दक क्रममे जवरजस्ती करय चाहबला दु गोटे पूर्व लडाकुके पुलिस गिरफ्तार सेहो केलक अछि । गिरफ्तार होवयबलामे अमलाचौर–६ के सुरेश गायक आ निसी–५ के नरबहादुर घर्ती रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन