Sunday, January 08, 2012

मृत्यु होवयबलाके संख्या ११ पहुँचल,शोकमे बजार वन्द


२४ पुष लमही । दाङमे काल्हि भेल सवारी दुर्घटनामे परि मृत्यु होवयबलाके संख्या ११ पहुँचल अछि ।

इलाजक क्रममे आइ कोहलपुर मेडिकल कलजेमे दाङ सिसहनिया४ पिपरीके जयमंगल प्रसाद गुप्ताके मृत्यु भेलाबाद दुर्घटनामे परि मृत्यु हवोयबलाके संख्या ११ पहुँचल अछि । ६ गोटेक घटनास्थलेमे,  काल्हि इलाजक क्रममे ४ गोटेके आ आइ भिन्सर १ गोटेके मृत्यु भेल अछि । घटना मे परि घाईल भेल ४ गोटेके कोहलपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भऽ रहल अछि ।

अहि बीच सवके शोकमे डुवावय जका  भेल सवारी दुर्घटना प्रति दुःख ब्यक्त करैत आह्वान कएल गेल बन्दक कारण लमहीके जनजीवन पुर्णरुपमे ठप्प भेल अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन