Sunday, January 08, 2012

जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय बिमर्श


२४ काठमाण्डौ । नयाँ संविधानक एकीकृत मस्यौदा उपर आगामी फागुन २३ गतेसँ चैत्र १५ धरि होवयबला जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय वारे संविधानसभाके जनमत संकलन समिति आइ सरकारक विभिन्न मन्त्रालयसंग बिमर्श केलक अछि ।

संविधानसभा सचिवालय सिंहदरवारमे आइ भेल बैसारमे सरकारक मन्त्री आ सचिव जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय सहयोग करयके प्रतिबद्धता जनौलक अछि । स्थानिय विकासमन्त्री टोपबहादुर रायमाझी जिल्ला, नगरपालिका आ गाबिस धरि जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय स्थानिय विकास मन्त्रालयके नेतृत्वदायी भूमिका निभावय परत बतौलनि । फागुन धरिमे स्थानिय निकायके वैकल्पिक व्यबस्था भऽ सकल तऽ जनमत संकलन कार्य प्रभावकारी हाएत कहैत सहमति कऽ देबय राजनीतिक दलसबसंग आग्रह कएलनि ।

परराष्ट मन्त्रालयके सचिव दुर्गाप्रसाद भट्टराइ विदेशमे रहल नेपालीके सुझाव संकलनके लेल परराष्ट मन्त्रालय समन्वय करत बतौलनि ।  बैसारमे प्रधानमन्त्री बावुराम भट्टराइ, उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार, उपप्रधान एवं परराष्टमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ, संचारमन्त्री जेपी गुप्ताके बजबितो स्थानिय विकास मन्त्री बाहेक कियो उपस्थित नहि छलथि । सभासदसब संविधान निर्माण प्रक्रियाके महत्व नहि देने आरोप लगौलक अछि ।

कांगे्रस सभासद बालकृष्ण खाड संविधान निर्माणमे सरकारक सहयोग अत्यावश्यक हवइतो प्रधानमन्त्री वेवास्ता केने आरोप लगौलनि । सभासद प्रेम बहादुर सिंह सामान्य कार्यक्रम उदघाटन करय जाएबला प्रधानमन्त्री संविधान निर्माणके कामके महत्व नहि देने कहैत दुःख व्यक्त कएलनि । जनमत संकलनके राष्टिय पर्वके रुपमे मनावय सभासदसब सरकारके सुझाव देलक अछि । जनमत संकलनमे जाए समय शान्ति सुरक्षा सहितक व्यबस्था करय बिषयमे बात करय संविधानसभाके समिति प्रधानमन्त्री सहित प्रभावशाली मन्त्रीसबके बजौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन