Sunday, January 01, 2012

नयाँ बर्षक २०१२ के शुरुवात


१७ षुष जनकपुरधाम । नयाँ बर्षक  २०१२ के शुरुवातसँगे नयाँ बर्ष हर्षोउल्लासके सँग आइ मनाओल जाऽ रहल अछि ।
२०१२ बर्ष नेपाल बाहेकके देशके होइतो नेपालमे सेहो बिदेशी तथा पश्चिमी पावनि तथा सभ्यतासब नेपालमे सेहो  किछ सालसँ धुमधामसँ मनाओल जाइत अछि । नयाँ सालक उपलक्ष्यमे लोकसब किछ दिन आगुएसँ पिकनिक बनभोज सब कऽ कऽ इ उत्सव मनाबि रहल अछि । आजुक दिन पिकनिक मनावयबला सबहक बिशेष भिड देखल जाऽ रहल अछि तऽ पिकिनक मनावय नहि सकलसब अपना अपना घर घरमे सेहो बिशेष खानपिनके सँग इ उत्सव मनाबि रहल अछि ।
अहिबिच काल्हिधरि जनकपुर सहितक किछ आरो ठाममे दिनभरि रौद उगितो आइ आकाश बादलसँ झाँपल रहलासँ पिकनिक मनावयबलासके लेल मौसम किछ उदास देखल जाऽ रहल अछि ।
एहन अवस्था अखनो मँगलदिन धरि रहतमौसमविद के.बी. मानन्धर बतौलनि । ओ कहलनि जे काल्हि सोमदिन करिब करिब एहने मौसम रहत तऽ मँगलदिन रौद उगितो बादल लागल रहलासँ किछ ठण्डा महसुस हाएत। मुदा बुध दिनसँ फउर दिनमे मौसम साफ रहयके सँगहि रौद सेहो उगत ओ दाबी कएलनि । तहिना आवयबला रबिदिन फेउर आइए जेहन मौसम रहय सकबाक अनुमान कएल गेल ओ बतौलनि । अहिना राजधानी सहित किछ पहाडी क्षेत्रम पानि सेहो परय सकत किछ दिन आगु भारतम देखलगेल आँधीक प्रभाव नेपालम सेहो पर मौसम पुर्वानुमान महाशाखा जनौलक अि
महाशाखाक अनुसार मौसमी प्रभावसँ काठमाडौं सहित पहाडी क्षेत्रम पानि परयके सम्भावना ि तऽ उच्च पहाडी क्षेत्रम हिमपात सेहो  शुरु भेल ि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन