Tuesday, January 10, 2012

लडाकुद्वारा मकवानपुर बन्दक आहृवान


२६ पुस, हेटौँडा । अनमिनके प्रमाणीकरणमे अयोग्य ठहर भऽ बहिर्गमनमे परल पूर्व माओवादी लडाकु आहृवान केने बन्दक कारण मकवानपुर जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।


बन्दक कारण यातायात, बजार-दोकान, शिक्षण संस्था आ कलकारखाना भिन्सरेसँ ठप्प अछि । बन्दकर्ता हेटौँडाका चोकचोकमे टायर बारि कऽ प्रदर्शन केलक अछि । अहिना बन्दक कारण पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत वीरगञ्ज-हेटौँडा आ नारायणगढ-हेटौँडा सडकखण्डमे यातायातके साधन चलय नहि सकल अछि । आकस्मिक रुपमे कएलगेल बन्दक कारण गन्तव्यमे चलल सयौं सर्वसाधारण समस्यामे परल अछि ।

पूर्वलडाकुसब अपनासब उपर लागल अयोग्यताके बिल्ला हटावयके आ उचित राहतके माँग करैत बन्दक आहृवान केने अछि । किछ दिन आगु सरकारसँग भेल वार्तामे सहमति भेलाबाद पूर्वलडाकु बन्द सहितक आन्दोलनके कार्यक्रम स्थगन केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन