Tuesday, January 10, 2012

कांग्रेस आ एमालेके कहने जका संविधान नहि बनतः गजुरेल


२६ पुस, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल काग्रेस आ एमाले कहने जका संविधान कोनो हालतमे बनय नहि देव दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव गजुरेल संसदीय ब्यवस्था कोनो हालतमे नहि मानब स्पष्ट कएलनि । ओ कहलनि-संसदीय ब्यवस्था मानयके रहित तऽ २०५२ सालमे हतियार उठेबे नहि करितौ । राजा हमरासबहक लेल समस्या नहि छल ।

ओ पार्टी उठौने संविधानके अन्तरबस्तुके  कोनो हालतमे नहि छोडब स्पष्ट कएलनि । क्रान्तिकारी भूमिसुधार लागु कऽ क बेसी भेल जमिन भूमिहिन आ सुकुम्बासीके वितरण करयके, आत्मनिर्णयके अधिकार सहितक संघीयता, मजदुर आ किसानके सबसँ बेसी अधिकार देवयके, राष्ट्रपति कार्यकारी होवयके शासन ब्यवस्था आ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे काल्हि बैसयबला केन्द्रीय समितिक बैसारमे लिखित प्रस्ताव  प्रस्तुत हाएत जानकारी सेहो देलनि ।

सचिव गजुरेल कांग्रेस आ एमालेके कारण शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण कार्य जोखिममे परल आरोप लगौलनि । कांग्रेस आ एमाले माओवादीविरुद्ध १६ दलके मोर्चाबन्दी केने कारण जनसंविधान आ जनताके संघीय गणतन्त्र स्थापनके लेल एक भऽ क लडय पार्टी एकीकरण भेल जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पार्टीके एजेण्डा लागू करय नहि सकिरहल आ मधेसी मोर्चाके मात्रे एजेण्डा लागु केलासँ आरोप लगबैत ओ तत्काल प्रधानमन्त्रीके पद छोडनाइ ठिक हाएत धारणा रखलनि । कांग्रेसे  अविश्वासके प्रस्ताव लाबयके तयारी कऽ रहलासँ ओइसँ आगुए प्रधानमन्त्रीके राजीनामा देवय चाही सचिव गजुरेलक सुझाव छलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन