Thursday, March 10, 2011

पर्सामे अगिलगि, लाखौके क्षति

पर्सा, फागुन २६ । पर्साके पोखरीया गाविस वाड नम्बर ७ सतवरिया स्थित आलम मियाँके घरमे आई भिन्सर अगिलगि भेलासँ १० लाख मोल बराबरके धनमाल जरि कऽ नष्ट भेल अछि। भिन्सर साढे १ बजे भेल अगिलगिमे घरमे रहल अन्नपानि, लत्ताकपडा, फर्निचर, नगद आ गरगहना जरि कऽ नष्ट भेल पुलिस जनओलक अछि।
अगिलगिमे १० लाख मोल बराबरके धनमाल क्षति भेल पुलिसक अनुमान अछि।
अहिबिच, वन गस्ती टोली पर्साके सुपौलीसँ आइ भिन्सर ५० घन फिट सालके काठ सहित दु टा टायर गाडी बरामद केलक अछि। रंगपुर रेन्जपोष्टके वन गस्ती टोली सुपौली गाविस वाड नम्बर ३ सँ भिन्सर साढे ४ बजे ई काठ बरामद केलक अछि।
दु टा टायर गाडीमे लोड कऽकऽ जर्गनाथपुरदिस लऽ जाईत काल अवस्थामे वन गस्ती टोली काठ अपन नियन्त्रणमे लेलक अछि। वन गस्ती टोलीके देखिते काठ तस्करसभ काठ आ गाडी छोडि फरार भेल वन गस्ती टोली जनओलक अछि। बरामद काएलगेल काठ आ टायरगाडि आवश्यक कारवाहीके लेल बसन्तपुर रेन्जपोष्टमे बुझाओलगेल वनगस्ती टोली जनओलक अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन