Thursday, March 10, 2011

जेल भितर अन्सारी उपर गोली प्रहार

काठमाण्डौ, फागुन २६ । नेशनल टेलिभिजनके कार्यकारी अध्यक्ष युनुस अन्सारी उपर जेल भितरे गोली प्रहार भेल अछि।
नक्कली भारतीय रुपैयाँके कारोवारमे संलग्न रहल अभियोगमे केन्द्रीय कारागार सुन्धारामे सजाए भोगि रहल अन्सारी उपर आई साढे ११ बजे हुनकासँ भेटयगेल अहमद खान भेटघाट कक्षमे गोली प्रहार केलक अछि। गोलि लागि घाइल भेल अन्सारीके इलाज नर्भिक अस्पतालमे भऽ रहल अछि । घाइल अन्सारी अखन खतरा मुक्त रहल अस्पाताल स्रोत जनओलक अछि। अन्सारीके कोखमे गोली लागल पुलिस जनओलक अछि।
गोली प्रहार कएनिहार खानके हतियार सहित गिरफ्तार काएलगेल महानगरी प्रहरी आयुक्त कार्यालयके प्रवक्ता एसएसपी माधव नेपाल बतओलन्हि अछि । खान १५ लाख रुपैयाँ दऽक़ अपनाके युनुसके मारए पठओने पुलिस समक्ष स्वीकार केलक अछि।
एहिसँपहिने सेहो बिभिन्न समयमे भारतीय अपराधीसभ अन्सारीके हत्याके प्रयास केने छल । जमिम शाहके हत्या करए आएल अपराधी अन्सारीके हत्याके लेल आएल मुदा ओ गिरफ्तार भेलासँ शाहके गोली मारने खुलासा भेल छल । अहिना अदालत लऽजएबाक क्रममे सेहो बेर बेर अन्सारीके हत्याके प्रयास भेल मुदार पुलिस बचओने बताओलगेल अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन