Thursday, March 10, 2011

बेलायती राज्यमन्त्री स्वदेश फिर्ता

काठमाण्डौ, फागुन २६ । ४ दिना नेपाल भ्रमण पूरा क बेलायतके अन्तर्राष्ट्रिय विकास सम्बन्धी राज्यमन्त्री एलन डङ्कन आइ भिन्सर स्वदेश घुरलनि अछि । स्वदेश घुरयस आगु ओ एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ नेपाली काङ्ग्रेसक सभापति सुशील कोइरालास अलगे अलग भेटवार्ता कएने छलथि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डके नयाँबजारमे भेट कऽ डङ्कन शान्ति प्रकृया आ संविधानक विषयमे जिज्ञासा रखने छलथि । भेटमे सहभागी माओवादी विदेश विभाग प्रमुख एवम् उपप्रधानमन्त्री कृष्णबहादुर महरा जानकारी देलनि । माओवादी जनसेनाके समायोजनके प्रकृया केहन आ माओवादी-एमालेबीच भेल सहमतिमे आएल विवादके विषयमे डनकन उत्सुकता रखने बताओलगेल अछि ।
नेपालमे जारी शान्ति प्रकृयाके प्रगति बुझय आ बेलायतके सहयोगमे संचालित विभिन्न परियोजना अवलोकन करय नेपाल आएल डनकन नेपालके आओर ४ चार बर्षके लेल ४ अर्ब बराबरके सहयोग घोषणा क कल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन