Thursday, March 10, 2011

अंतिम अभियान पूरा, डिस्कवरी रिटायर हाएत - बिज्ञान


अमरीकाके सबस पुरान आ अंतरिक्षमें सबस बेसी यात्रा करय वला अंतरिक्ष यान डिस्कवरी अपन अन्तिम यात्रा पूरा क फ़्लोरिडाके केनेडी स्पेस सेंटर सुरक्षित पहुँच गेल अछि ।
डिस्कवरीके पहिल बेर 1984 में लॉंच कएलगेल छल आ इ एकर अंतिम अभियान छल । आब एकरा रिटायर क देल जाएत आ वॉशिंगटनके स्मिथसोनियन अंतरिक्ष म्यूज़ियममें राखल जाएत । डिस्कवरी 39 अभियान केलक आ अहिबिच दुनियाके ६000 बेर चक्कर लगौलक । बितल तीस सालमें इ हबल टेलीस्कोपके स्थापित केलक अछि आ नासाके अंतरिक्ष कार्यक्रममें मुख्य भूमिका निभौने अछि ।
वर्ष 2005 में डिस्कवरीके कमांडर आ कोनो अंतरिक्ष यॉनके पहिल महिला कमंडर ईलीन कॉलिंस बतौलनि जे, "अइ अंतरिक्ष यानके सबस बड़का उपलब्धी अंतरराष्ट्रीय स्पेस, स्टेशन बनाबयके छल जे काम करिब 99 प्रतिशत पूरा भचुकल अछि आ अइमे डिस्कवरीके प्रमुख भूमिका छल ।."
हुनकर कहब छलनि जे अंतरिक्षमें हबल टेलीस्कोपके स्थापित केनाइ आ मीर अंतरिक्ष केंद्र तक जेनाइ एकर बड़का उपलब्धी छल ।
एंडेवर आ अटलांटिसके अभियान सेहो अगिला तीन महीनामें ख़त्म भ जाएत आ एकर बाद अमरीका अपन अंतरिक्ष यात्रीके रूसके सोयुज़ रॉकेट प अंतरिक्षमें ल क जाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन