Friday, March 04, 2011

विश्वके पहिल रोबोट मैराथन - बिज्ञान

ओना त आँहा कतेकौ बेर सुनने हाएब जे कोनो शहरमें मैराथन भरहल छैक मुदा जापानमें भेल मैराथन अइसबस किछ हटि कऽ अछि ।

बात इ अछि जे इ कोनो आदमिके नै भ रोबोटके मैराथन अछि । २ टाँग बला रोबोटके लेल पहिल बेर एहन दौडके आयोजन कएलगेल अछि ।

बात इ अछि जे ई दौड ४ दिन में पुरा हाएत । जाहिमे ट्रैकके 423 चक्कर लगाबयके अछि । पाँच एंड्रॉयड स्टार्ट लाइन पार कर चुकल अछि ।

ऑपरेटर रोबोटके बैटरी आ मोटर बदैल सकैत अछि मुदा दौड़त-दौड़त इ खसि परैत अछि त रोबोटके अपने उठय पडैत अछि ।

ई दौड़ ओसाका शहरके स्थानीय अधिकारि आ एकटा रोबोट फ़र्म आयोजना केने अछि । हिनकासबके लगैत छन्हि जे आबबला दिनमें इ एकटा अंतरराष्ट्रीय आयोजना बनि जाएत ।

रोबोटके 42 किलोमीटरके दौड़ देखबाक लेल पैघ सँख्यामे लोकसब पहुंच रहल अछि । छोट-छोट खिलौना साइज़के ई रोबोट हाथ हिलाकऽ लोकसबके स्वागत करैत अछि ।

आयोजकके उम्मीद अछि कि रेस सबस तेज़ रोबोट नहीं, बल्कि ओ रोबोट जीतत जे ओकर पार्टपुर्जाके होबयबला नोक्सानके सबस बेसी सहि सकत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन