Friday, March 04, 2011

एयर बसद्धारा निगमके बैना रकम फिर्ता


काठमाडौँ, फागुन २० । फ्रान्सेली कम्पनी एयर बस जहाज खरिद करयके लेल नेपाल वायु सेवा निगमके देने बैना रकम फिर्ता केलक अछि।
एयर बस आइ नियमके खातामे ७ लाख ५० हजार ९ सय ९२ अमेरिकी डलर फिर्ता केने निगमके प्रवक्ता राजु केसी जानकारी देलन्हि अछि। हुनक अनुसार एयर बस हिमालयन बैंकमे रहल खातामे बैना रकम फिर्ता पठौलक अछि।
एहिबिच निगमक अध्यक्ष सुगतरत्न कंसाकार ६ करोड धरौटीमे रिहा भेल छथि । प्राइम कमर्सियल बैक जनामत देलाकबाद कंसाकार आइ रिहा भेल विशेष अदालतक रजिष्टार धिरबहादुर चन्द जानकारी देलन्हि अछि। मुद्धाके पेशी रबि दिनके लेल तोकलगेल अछि। १६ गते ६ करोड धरौटी वुझाबए नइ सकलाबाद कंसाकारके जेल चलान काएलगेल छल ।
कंसाकार दु टा विमान खरिदके लेल एयर बसके बैना पठओने छलथि । बैना पठबैतकाल प्रक्रिया नइ पहुचल तथा भ्रष्टाचारी भेल कहैत संसदके सार्वजनिक लेखा समिति विमान खरिदमे रोक लगओने अछि तऽ अख्तियार दुरपयोग अनुसन्धान आयोग विशेष अदालतमे मुद्धा दायर केने अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन