Friday, March 04, 2011

चीनके रक्षा बजेट आब 90 अरब डॉलरस ऊपर


एजेन्सी, फागुन २० । चीन अपन रक्षा बजेटमें 12 प्रतिशतस बेसीके वृद्धि करय जा रहल अछि । नब्बे अरब डॉलरके इ बजेटस पडोसी देशसबहक चिन्ता बढादेने अछि ।

चीन सरकारक एक प्रवक्ता कहलनि जे चीनके रक्षा बजेट दोसर देशक तुलनामे कम अछि मुदा बहुत गोटेके कहब अछि जे चीनके वास्तविक रक्षा बजेट अई तथ्याङस बहुत बेसि अछि ।

जापानके मुख्य कैबिनेट सचिव यूकी एडनाके कहब अछि जे, “चीनके सैन्य आधुनिकीकरण कार्यक्रम आ ओइमे पारदर्शिताके कमी चिंताके विषय अछि ।”

चीन आ जापानके सम्बन्ध साउथ चाइना समुन्द्रके द्वीप पऽ अधिकारके मामलाके कारणस तनावपूर्ण अछि । ओ ओ क्षेत्र अछि जतय तेल आ गैसके खानी होबयके संभावना अछि ।

चीन आधुनिक लड़ाकू विमान आ मिसाइल सिस्टमके निर्माण क रहल अछि मुदा ओकर कहब अछि जे इ सभ आधुनिकीकरण कार्यक्रम शांतिपूर्ण उद्देश्यके लेल अछि ।

चीन 2010 में अपन रक्षा बजेटमें 7.5 प्रतिशतके बृद्धि केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन