Friday, March 04, 2011

१५ दिनक मिथिला माध्यमिकि परिक्रमा शुरु

जनकपुर, फागुन २० । १५ दिनक मिथिला माध्यमिकि परिक्रमाके जनकपुरमे आईस बिधिबत रुपमे शुरुवात भेल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक आमाबस तिथिस प्रारम्भ होबयबला ई माध्यमिकि परिक्रमा १५ दिनधरि चलत । आई श्री मिथिला बिहारी जीक डोला कचुरीस प्रस्थान क जनकपुर आबिरहल अछि । आई साँझ जनकपुरक हनुमान गढीमे ओ डोलाके बिश्राम कराओल जाएत । ओकर बाद डोला काल्हि भारतक कल्णाके लेल प्रस्थान करत ।

अहिना, फागुन २२ गते गिरिजा स्थान, २३ गते मटिहानी, २४ गते जलेश्वर , २५ गते मडई, २६ गते ध्रुबकुण्ड, २७ गते कन्चनबन, २८ गते पर्बता, २९ गते धनुषाधाम, ३० गते सतोषर मे डोलाके परिक्रमा करबैत बिश्राम कराओल जाएत । तहिना, चैत १ गते औरही, २ गते करुणा, ३ गते फेउर कलना होईत बिसौलमे बिश्राम करत । ४ गते ओ परिक्रमा जनकपुर पहुँचलाक बाद ५ गते भिन्सरमे जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा क परिक्रमाके समापन काएल जाएत ।
अहि परिक्रमामे नेपाल भारतक दुर दुरस आएल साधु सन्त तथा श्रद्धालु भक्तजनसबहक पैघ सँख्यामे सहभागिता रहैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन