Friday, March 04, 2011

किसुनजीक स्वास्थ्य अवस्था अन्यन्त नाजुक


काठमाण्डू, फागुन २० । राजधानीक नर्भिक अस्पतालमे इलाज करारहल पूर्वप्रधानमन्त्री एवं नेपाली कांग्रेसक संस्थापक नेता कृष्णप्रसाद भट्टराईक स्वास्थ्य अवस्था अत्यन्त गम्भीर अछि ।

भट्टराईके महत्वपूर्ण अंगसभ शिथिल बनैत गेल अछि तऽ पिसाव सेहो बन्द भेल अछि । इलाजमे संलग्न चिकित्सक डाक्टर भरत रावलके अनुसार हुनका देलगेल सभ दबाइ निस्प्रभावित भेल अछि । मुदा चिकित्सकसभ भट्टराईके बचाबय हरसम्भव प्रयास कऽ रहल छथि । भट्टराईके काल्हि सँ एक्सटर्न भेन्टिलेटर सपोर्ट सिस्टममे राखल गेल अछि ।

८७ वर्षीय पूर्वप्रधानमन्त्री भट्टराईके स्वास्थ्य अवस्था विगरलाक बाद हुनक समर्थक तथा शुभचिन्तक सभक अस्पतालमे भिड लागल अछि । कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई सहित अस्पताल पहुँच भट्टराईके स्वस्थ्य अवस्थाक समबन्धमे जानकारी लेलनि अछि ।

विक्रम संवत १९८१ पुष कृष्ण अष्टमीके दिन जन्म भेल भट्टराई सन् १९४२ के भारत छोड आन्दोलन सँ राजनीतिमे प्रवेश कएने छलथि । भट्टराई नेपाल पत्रकार महासंघके पहिल सभापति तथा प्रतिनिधी सभाके पहिल सभामुख सेहो भेल रहथि ।

वि. सं. २०३४ साल कात्तिक सँ लगातार १४ वर्षधरि कांग्रेसके कार्यवाहक सभापति सेहो रहल भट्टराई २०४८ साल फागुनके सुरुमे झापामे भेल महाधिवेशन सँ सभापति सेहो बनलथि । २०४६ सालके जनआन्दोलनक बाद बनल अन्तरिम सरकारके प्रधामन्त्री बनल छलथि । भट्टराई पछिला समय सँ कांग्रेसमे निश्क्रिय बनल छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन