Friday, April 08, 2011

विद्युत चोरी करयबला २६ गोटे गिरफ्तार


लहान, चैत २५ । विद्युत प्राधिकरण लहान शाखा विद्युत चुहावट नियन्त्रणके लेल शुरु केने अभियान अन्तर्गत हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने अवस्थामे सिरहाके ४ गाविससँ २६ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
 विद्युत प्राधिकरण लहान शाखाक प्रमुख मिथिलेस गोहिवारक अनुसार सिरहाके बडहरामालसँ २१ गोटे, रामनगर मिर्चैया २, सितापुर प्ररा २ आ राघोपुर गाविससँ २ दु गोटे कऽ २६ गोटेके गिरफ्तार कएल गेल अछि । ओकरासभहक सँगस विधुत चोरी केने अवस्थामे पाँच थान मोटर, पंखा, हावा लगाबय प्रयोग कएल जाएबला मोटर तारसभ समेत बरामद कएलगेल अछि ।
 सिरहाके ७५ गाविस आ एक नगरपालिका देखैत आएल लहान शाखा अहिस आगु चुहावट नियन्त्रण अभियानमे हुकिङ कऽ विद्युत चोरी केने ३ सय ५० गोटेके गिरफ्तार क ऽ १३ लाख ५० हजार रुपैयाँ राजस्व असुली कऽ चुकल अछि । गिरफ्तार भेलके विद्युत नियमावली अनुसार कारवाही कऽ राजस्व असुली कएल जाएत लहान शाखा जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन