Friday, April 08, 2011

प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय सोमदिन बैसार


काठमाडौ, चैत २५ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल प्रधानन्यायाधीश नियुक्तिके लेल सोमदिन संवैधानिक परिषद्क बैसार बजौने छथि ।
 प्रधानन्यायाधीश रामप्रसाद श्रेष्ठ ६५ वर्ष उमेर पूरा क अनिवार्य अवकाश पाबय लगलासँ नयाँ प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करय परिषद्क बैसार बजाओलगेल जानकारी प्रधानमन्त्री निकट स्रोत देलक अछि ।
 प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ आगामी वैशाख २२ मे अनिवार्य अवकाश पाबि रहल छथि । प्रधानमन्त्री एवं परिषद्क अध्यक्ष खनाल परिषद्क सदस्यसभ प्रधानन्यायाधीश श्रेष्ठ, सभामुख सुवास नेम्वाङ, विपक्षी दलक नेता रामचन्द्र पौडेल आ अपने सदस्य तोकने तीन मन्त्रीके सोमदिन   बैसयबला बैसारमे उपस्थित होबय पत्र पठौलक अछि ।
 प्रधानमन्त्री काल्हि अन्तरिम संविधान बमोजिम उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी, रक्षामन्त्री विष्णु पौडेल, शान्ति तथा पुनर्निर्माण मन्त्री वर्षमान पुनके परिषद् सदस्य तोकने छथि । प्रधानन्यायाधीशमे सर्वोच्च अदालतके वरिष्ठ न्यायाधीश खिलराज रेग्मीके नाम सिफारिस होयबाक  सम्भावना अछि । परिषद् वरिष्ठ न्यायाधीशके प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके आ राष्ट्राध्यक्ष नियुक्त करयके परम्परा अछि । प्रधानन्यायाधीश सिफारिस करयके एजेन्डामे बजाओलगेल परिषद् बैसारमे आरो संवैधानिक अंगक प्रमुख तथा सदस्य नियुक्तिबारे बिमर्श होयबाक सम्भावना नहि रहल स्रोत उल्लेख केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन