कलैया, चैत २५ । मधेसी जनअधिकार फोरम (लोकतान्त्रिक) के अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार माओवादी आ एमालेके गठबन्धन सरकार सत्ताकब्जा करयदिस उद्दत रहल आरोप लगौलनि अछि ।
पार्टीके बारा जिल्लास्तरीय प्रशिक्षणके आइ सम्बोधन करैत ओ वर्तमान सरकार देशमे शान्तिसुरक्षा आ संविधान निर्माण करय गम्भीर नहि रहल दावी केलनि अछि ।
ओ अवसरमे फोरमक नेता शरतसिँह भण्डारी वर्तमान सरकार मधेस समस्याप्रति गम्भीर नहि रहल बतबैत मधेसमे पुनः आन्दोलन हाएत त ओ विकराल रुप लेबय सकत चेतावनी देने छलथि ।
फोरम लोकतान्त्रिकके बारा अध्यक्ष रामबाबु साहक सभापतित्वमे भेल कार्यक्रममे सभासद्द्वय प्रमोद गुप्ता, निलम वर्मा मधेसी जनताके अधिकारक लेल आन्दोलन अपरिहार्य रहल बतौने छलथि ।
No comments:
Post a Comment