Friday, April 08, 2011

एजेण्डामे बिना प्रवेश केनेही संवैधानिक समितिक बैसार स्थगित


काठमाडौ, चैत २५ । दलित आ मुस्लिम सभासदसभहक बिरोधके कारण संवैधानिक समितिके आजुक बैसार बिना कोनो एजेण्डामे प्रवेश केनेही स्थगित भेल अछि ।
 दलित जनजाति पार्टीक सभासद विसेन्द्र पासवान सहितक बैसार संचालन होबय नहि देबयके अडान लेने छल । समितिक पछिला बैसारसभमे अल्पसंख्यक समूदायके हक अधिकारक विषयमे पासवान समेत किछ सभासद संवैधानिक समितिमे कडा रुपमे आवाज उठबैत आएल अछि ।
 पासवान अपनासभके अवरोधके कारण बैसार कोनो ऐजेण्डामे प्रवेश करय  नहि सकल बतौलनि । बैसार बैसय नहि सकलाबाद समिति सभापति निलाम्बर आचार्य आगामी २९ गते धरिके लेल बैसार स्थगित केने छलथि । भावि संविधानमे दलित,जनजाति, पिछडा, आदिवासी आ मुस्लिम समूदायके हक अधिकार सुनिश्चित होबयके प्रतिवद्धता सहितक पत्र संविधानसभासँ संवैधानिक समितिमे नहि आबयधरि बैसार बैसय नहि देब सभासद पासवान बतौलनि अछि । पासवानसंगै स्वतन्त्र सभासद सदरुल मियाँ हक अहिसँ आगुके बैसारसभमे अपनासभके हक सुनिश्चित नहि भेल कहैत बिरोध करैत आएल छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन