Sunday, April 10, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग

चैत २७ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  मुम्बइ इन्डियन  आ दिल्ली डेयर डेभिल्स बिच आइ भेल खेलमे  मुम्बइ इन्डियन ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
दिल्ली डेयर डेभिल्स टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत निर्धारीत २० ओभरक खेलमे १७ ओभर ४ बलमे सम्पुर्ण  बिकेटक नोक्सानमे ९५ रन मात्र बना कऽ मुम्बइ इन्डियन  समक्ष ९६ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल ।
प्रतिउत्तरमे उतरल मुम्बइ इन्डियन  निर्धारित २० ओभरक खेलमे १६ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि ।

अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल  खेलमे किङ्गस एलेभन पँजाब, पुणे वेरियर्स  समक्ष  ११३    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि । 
किङ्गस एलेभन पँजाब टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत    बिकेटक क्षतिमे ११२   रन बनौलक अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन