Sunday, April 10, 2011

मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय


जनकपुर, चैत २७ ।  जनकपुरमे एक दर्जनसँ बेसी सँघ सँस्थाक बैसल बैसारसँ मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय कएलगेल अछि ।
जनकपुरक रामानन्द युवा क्लबमे सम्पन्न ओ बैसारसँ  राष्ट्रिय जनगणना २०६८ मे मातृभाषाक रुपमे मैथिली लिखबाक लेल बृहत जनचेतना आ प्रचार मुलक कार्यक्रम सँचालन करबाक निर्णय कएल गेल अछि ।
बैसारमे किछ मधेसबादी दलसभद्धारा हिन्दीके मातृभाषा लिखबाक देलगेल अभिब्यक्ति प्रति ध्यानाकर्षण भेल जनबैत मैथिलीके बिरोधमे देलगेल अभिब्यक्ति प्रति खेद प्रकट कएलगेल अछि ।
बैसारमे क्लबक अध्यक्ष दिपेन्द्र ठाकुर, जिवनाथ चौधरी, अशोक दत्त, मिनापक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, बिजय दत्त सहितक बिभिन्न क्लबक अध्यक्ष आ पत्रकारसभहक उपस्थिति छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन