Sunday, April 10, 2011

कांग्रेस बैसारमे महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव


२७ चैत, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला पार्टीके भ्रातृ संगठन महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापतिके निर्देशनमे विवाद समाधान समितिक सदस्य बलबहादुर केसी म्याद समाप्त भेल महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि । संगठनके जुझाउ बनाबय सेहो विघटन करय परल हुनक कहब छलनि ।
सभापति कोइराला पक्षधर म्याद समाप्त भेल भ्रातृ संगठनसभ विघटन करयके आ अन्यके समयमै महाधिवेशन करय निर्देशन देबयके योजनामे अछष त वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर ओइके विपक्षमे रहल अछि ।
अइस आगु नेवि संघ विघटन करयके प्रस्तावमे विवाद भेल छ । विवादकै क्रममे नेवि संघक अध्यक्ष प्रदीप पौडेल पदसँ राजीनामा देने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन