Sunday, April 10, 2011

सरकार, उद्योगी आ मजदुरबीचक वार्ता निष्कर्षबिहीन


२७ चैत, काठमाडौं । सरकार, उद्योगी व्यवसायी आ आन्दोलनरत मजदुर संगठनबीचक वार्ता विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।
श्रम मन्त्रालयमे आइ भेल वार्तामे मजदुरसभ २ हजार रुपैयाँ तलब बृद्धि करयके माँग रखने छल त उद्योगी व्यवसायीसभ १५ सय रुपैयाँ मात्रे बृद्धि करय सकयके अडान लेने छल । हमसभ तलबमे ६५ प्रतिशत आ भत्तामे ३५ प्रतिशत कऽ २ हजार रुपैया बृद्धि करयके माँग रखने छीमाओवादीक मजदुर संगठनके नेता बद्री बजगाई कहलनि-ओसभ १५ सयके प्रस्ताव लौअने छथि ।
प्रमुख तीन ट्रेड युनियन आ उद्योगीबीच भेल १५ सय तलब बृद्धि करय सहितक ११ बुँदे सहमतिविरुद्ध माओवादी मजदुरके असन्तुष्ट आ मधेसवादी दलसम्वद्ध मजदुर संगठन आन्दोलित भेल छल । वार्तामे मजदुर संगठनसभ नो वर्क नो पे के नीति खारेज करयके, सामाजिक सुरक्षा कोष कार्यान्वयनके लेल कानुन लाबयके जेहन माँग रखने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन