Friday, April 15, 2011

पोखरिमे डुबि कऽ एके सँग ५ बालिकाके मृत्यु


नागेन्द्र कर्ण, जलेश्वर, बैशाख २ । सिमावर्ती मधवापुरमे एके टोलक ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेल अछि ।
आइ बेरियामे पोखरिमे एक्के सँग नहाए गेल ५ बालिकाके डुबिकऽ मृत्यु भेलाबाद पुरा गाम शोकमे डुबल अछि ।
मृत्यु होबयबलामे भारत बिहारक मधवपुर प्रखण्डक रामपुर गामके इस्लामटोल रहनियार १८ बर्षक इसरत खातुन, १३ बर्खक नसिमा खातुन, १३ बर्खक गुलनाज खातुन, ११ बर्खक सहनाज खातुन आ ९ बर्खक हसिना खातुन रहल अछि ।
ओ शबसभके पोष्टमार्टमके लेल मधवापुर अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन