Friday, April 15, 2011

शरणार्थी वार्ता शुरु करय भुटान सहमत


काठमाण्डू, बैशाख २ । भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल अछि ।
 प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसंग आइ भेल भेटमे भुटानी प्रधानमन्त्री जिग्मी वाई थिन्ले भुटान शरणार्थी समस्याक विषयमे स्थगित वार्ता शुरु करय सहमत भेल जानकारी देलनि
भुटानीसभकेँ कोना फिर्ता पठाओल जाय ताहि विषयमे वार्ता शुरु करय ओसभ सहमत भेल अछिप्रधानमन्त्रीक विदेश मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर कहलन्हि । मुदा कहियासँ शुरु करव से कुटनीतिक माध्यमसँ तय कएल जायत ओ बतौलनि । नेपाल आ भुटानवीचक वार्ता स्थगित भेल करिव एक दशक भऽ गेल अछि ।
नेपाल आ भुटान सरकार स्तरमे भेल १५ वेरक वार्ता असफल भेल समय शाही शासनकवाद स्थगित भेल छल । वार्ता स्थगित भेलाकवाद शुरु भेल तेसर देश पुनर्वास कार्यक्रमके संगे स्वदेश फिर्ताक मांग कमजोर होइत गेल अछि ।
भेटकवाद भुटानी प्रधानमन्त्री थिन्ल नेपाल आ भुटानकेँ लक्ष्य समान रहल कहैत मिल कऽ आगु बढय भुटान तयार रहल वतौलन्हि । प्रधानमन्त्रीक कार्यालयमे भेल भेटमे आपसी हित सहितक विषयमे बिमर्श भेल छल ।
सार्ककेँ वर्तमान अध्यक्ष सेहो रहल थिन्ले ६ महिनाकवाद माल्दिभ्सकेँ मालेमे होवयवला सार्क शिखर सम्मेलन तयारी सम्वन्धमे वात करय नेपाल आएल छलथि । तहिना थिन्ले राष्टपति डा. रामवरण यादवसँ सेहो भेट कएलन्हि अछि ।
अहि क्रममे हुनका काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड आ नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइरालासँ सेहो भेटघाट करवाक कार्यक्रम छन्हिकाल्हि स्वदेश घुरयसँ पहिने भ्रमण सम्वन्धमे जानकारी देवय थिन्ले पत्रकार सम्मेलन सेहे करता बताओलगेल अछि

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन