Friday, April 15, 2011

'कांग्रेस माओवादीके निःशस्त्र बनाबयके अभियानमे'


पोखरा, वैशाख २ । कांग्रेस संसदीय दलका नेता रामचन्द्र पौडेल अपने हस्तक्षेप कऽ महिला तथा युवा सहितक भातृ संगठन विघटन रोकि कऽ नेविसंघमे मात्रे सीमित रखने दाबी केलनि अछि ।
 आन्तरिक विवादमे ओझराकऽ शान्ति आ संविधानक मुद्धाके ओझराहटमे राखय नहि चाहि कहैत  हस्तक्षेप बिना केनेही भातृ संगठनके विवादके अखन साम्य केने बतौलनि । 'कांग्रेसके आब आन्तरिक विवादमे नहि ओझराकऽ माओवादीके निःशस्त्र आ देशके हिंसामुक्त बनाबयके अभियानमे लागय परत कहैत हस्तक्षेप करही परल ', पूर्व केन्द्रीय सदस्य तथा सांसद स्वर्गीय कृष्णबहादुर गुरुङके १३ हम् पुण्यतिथिमे कास्की कांग्रेसद्वारा आइ आयोजित श्रद्धाञ्जली सभामे पौडेल कहलनि ।
ओ माओवादी नहि चाहत तयियो आब कांग्रेसक नेतृत्वमे शान्ति आ संविधानके निश्कर्षमे  पहुँचाकऽ छोडत बतौलनि । माओवादी लडाकु आ हतियारसहित बनयबला संविधानके कोनो अर्थ नहि रहलासँ ओइके बिरुद्ध लागय परत कहैत पौडेल बैशाख ११ गते पोखरसँ अभियान शुरु कएल जाएत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन