Friday, April 15, 2011

संविधान नहि बनतः बैद्य


पोखरा, वैशाख २ । माओवादी उपाध्याक्ष मोहन बैद्य जेठ १४ मे संविधान बनयके सम्भावना नहि रहल बतौलनि अछि ।
अखनधरि संविधानके ड्राफ्ट बनाकऽ जनतालग पहुँच जाएक चाही समयमे राज्य पुनर्सरचना, शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीके जटील प्रकृयामे पार्टीसभ ओझराएलासँ  संविधान नहि बनयके अवस्था रहल हुनक कहब छलनि ।
 मार्क्सवादी अध्ययन स्रोत केन्द्रके प्रथम साधारण सभाके आइ उदघाटन करैत उपाध्यक्ष बैद्य माओवादी लडाकुके सम्मानजनक समायोजन नहि भ शान्ति प्रकृया निश्कर्षमे नहि पहुँचत दावी केलनि । ‌ओ संसदीय ब्यवस्थाके संविधान असफल भऽ गेलासँ २०४७ के जेहन संविधान बनत त जनआन्दोलन आ जनविद्रोहके विकल्प नहि रहत बतौलनि ।
 संबैधानिक समिति आ सभामुख तथा एमाले, कांग्रेस संविधान निर्माणमे ध्यान नहि दऽ एकतर्फी रुपमे माओवादीके मात्रे दोष देने हुनक  आरोप छलनि ।
 ओ २०४७ के संविधानके कारण माओवादीके सशस्त्र युद्ध करय परल कहैत फेउर ओहन अवस्था नहि आबय जका संविधान बनाबय परत बतौलनि  

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन