Tuesday, August 02, 2011

लेखा समितिद्वारा टेलिकमके निर्देशन


काठमाडौ, श्रावण १७ । संसदके सार्वजनिक लेखा समिति नेपाल टेलिकमके सब टा खरिद प्रक्रिया सार्वजनिक खरिद ऐन अन्तर्गत लाबय निर्देशन देलक अछि ।

समितिके आइ बैसल बैसारसँ टेलिकम बिना  टेन्डर खरिद करय लागल ब्रेजिङ प्रोजेक्टमे आर्थीक अनियमितता आ अख्तियारके दुरुपयोग भेल कहैत प्रक्रिया आगु नहि बढाबय निर्देशन देलक अछि ।

टेलिकम माँग बमोजिम पुरा करय नहि सकब कहैत ब्रेजिङ प्रोजेक्ट मार्फत ११ लाख ५२ हजार जिएसएम मोबाइल क्षमता आ ४ लाख सिडिएम मोबाइलके पूर्वाधार निर्माण करयके योजना बनौने छल । समिति बिना टेन्डर खरिद करय लागल १५ लाख ५० हजार लाइन रद्द करय निर्देशन दैत ततकाल टेन्डर आव्ह्रान करय सेहो कहने अछि । 

समितिके बितल माघ १९ गतेके बैसारसँ खरिद ऐन  अनुसारे टेन्डर प्रक्रिया पूरा कक मात्रे खरिद करय निर्देशन दैतो टेलिकम समयक अभाव भेल कहैत ११ लाख ५२ हजार जिएसएम आ ४ लाख सिडिएम मोबाइल विस्तारक योजना आगु लौने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन