Tuesday, September 27, 2011

भूकम्प पहुँचौने क्षतिक बिषयमे प्रधानमन्त्रीके चाँखि


आसिन १० , काठमाण्डौ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराइ आसिन १ गते आएला भुकम्पसँ भेल क्षतिके बिषयमे सरकार सचिवसब आ सुरक्षा अधिकारीसँग जानकारी लेलनि अछि ।
ओ बेरियाक साढे १२ बजे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय सिंहदरबारमे सचिवसब, सुरक्षा निकायके अधिकारी तथा सम्बन्धित व्यक्तिसबसँगसँ भूकम्पसँ भेल क्षतिके विषयमे जानकारी लेने छलथि । ओ भूकम्प पिडितसबके तत्काल राहात उपलब्ध कराबय सेहो निर्देशन देलनि अछि । आसिन १ गते आएल भूकम्पमे परि सात गोटेके मृत्यु भेल छल त दर्जनौ घरमे क्षति भेल छल ।
प्रधानमन्त्री भट्टराइ तत्काल राहत पहुँचय नहि सकल ठाममे तत्काले राहतके कार्यक्रम पहुँचाबय सेहो निर्देशन देलनि अछ ि। अहिबीच प्रधानमन्त्री भट्टराइ सयुक्त राष्ट्रसंघक महासभाके क्रममे पौअने भ्रमण भत्ता भूकम्प पिडितके देबयके घोषणा केने छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन