Tuesday, September 27, 2011

प्रधानमन्त्री विदेश भ्रमणके बाद वोली बदलने काङ्ग्रेस महामन्त्री सिंहक कहब


आसिन १० , तम्घास । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह प्रधानमन्त्री डाक्टर वावुराम भट्टराई न्युयोर्क भ्रमणसँ घुरलाबाद बोली बदलने आरोप लगौलनि अछि ।

भट्टराई विदेश भ्रमण जाए स पहिने ४५ दिनभितर शान्ति प्रकृया पुरा करब कहितो अखन दलसबबीच सहमति भेल ४५ दिनबाद कहनाइ हुनकामे  इमान्दारिता नहि रहल वतौलनि । प्रेस युनियन गुल्मी आइ तम्घासमे केने पत्रकार सम्मेलनमे सिंह प्रधानमन्त्रीक एहन अभिव्यक्तिसँ इ सरकार किछ करय नहि सकयके सँकेत केने बतौलनि । महामँन्त्री सिंह शान्ति प्रकृयाके काम शुरु होबयसँ आगु माओवादी लडाकुके मोडालिटी, संख्या, दर्जा निर्धारण, पुनस्थापना प्याकेज जेहन बातमे सहमति होबयमे जोड देलनि ।

पत्रकारके जिज्ञासामे भातृसंगठन विघठनके निर्णय कोनो व्यक्ति विषेशके नहि भ व्यापक बिमर्शके बाद केन्द्रिय कार्य समिति लेने कहैत निर्णय फिर्ता नहि हाएत समेत सिंह स्पष्ट कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन