Tuesday, September 27, 2011

एमालेद्वारा रक्षामन्त्री आ भूमी सुधारमन्त्रीके बर्खास्त करय माग


आसिन १० , काठमाण्डौ । मधेसक २२ जिल्ला निर्णय क क नेपालसँ अलग होबय सकयके आ नेपालस अलग होबय चाहने कोनो ऐन नहि रोकत कहि  रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारीके कहब राष्ट्रिय हित, एकता आ अखण्डताविरोधी रहल कहैत नेकपा एमाले रक्षामन्त्रीके बरखास्त करय प्रधानमन्त्रीसँग माग केलक अछि ।

पार्टी उपाध्यक्ष बामदेव गौतम एक विज्ञप्ती जारी करैत ४ बुँदेसहमतिके आलोचनासँ उत्तेजित भ मन्त्री भण्डारी सामान्य नागरिक जतेक बाजय नहि मिलत आ नहि सकयके कहब रक्षामन्त्रीसँ एनाइ गम्भीर रहल उल्लेख कएलनि अछि ।

अहिना  भूमिसुधार तथा व्यवस्था मन्त्री प्रभु साह वीरगंजमे हिन्दू युवा संघक अध्यक्ष काशी तिवारीके हत्यामे संलग्न रहल आ हुनक स्वकीय सचिव सियाराम कुशवाहा तिवारीके हत्यामे प्रत्यक्ष संलग्न रहल प्रहरी अनुसन्धान देखौनेप्रति गम्भीर ध्यानाकर्षण भेल आ मन्त्री साहके बर्खास्त क पुलिस समक्ष बुझाबय सेहो एमाले माग केलक अछि । इस्लामी संघक महासचिव फैजान अहमदके हत्यामे संलग्नसबके गिरफतार क कारबाही करयके माग समेत उपाध्यक्ष गौतमद्वारा हस्ताक्षरित बिज्ञप्तीमे कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन