Tuesday, September 27, 2011

भ्रमण भत्ता बापतके रकम प्रधानमन्त्रीद्वारा भूकम्प पीडित राहत कोषमे


आसिन १० , काठमाण्डौ । प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराई राष्ट्रसंघीय महासभामे भाग लेबय अमेरिका गेल समय सरकार उपलब्ध करौने भत्ता बापतके रकम भूकम्प पीडित राहत कोषमे जम्मा कएलनि अछि ।

विदेश भ्रमण बापत प्राप्त सरकारी भत्ता प्रधानमन्त्री राहतकोषमे जम्मा केने प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । प्रधामन्त्रीके न्यूयोर्क जाए काल सरकार उपलब्ध करौने भत्ता दु हजार तीन सय १४ अमेरिकी डलर अर्थात एक लाख ७६ हजार तीन सय ६४ रुपैँया भेटल छलन्हि ।

अहिना अमेरिकामे रहल प्रधानमन्त्रीके गुरुमाए इलेनोर इल्कीनेस पकेट खर्चस्वरुप उपलब्ध करौने पाँचसय अमेरिकी डलर अर्थात ३८ हजार एक सय पाँच रुपैँया सेहो प्रधानमन्त्री भट्टराई राहत कोषमे जम्मा कएलनि अछि । अमेरिकामे रहल अर्जुनप्रसाद मैनालीे राहत कोषमे जम्मा करय लेल  प्रधानमन्त्रीके देने १५ सय अमेरिकी डलर अर्थात एक लाख १४ हजार तीन सय १५ रुपैँया सेहो राहत कोषमे जम्मा कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन