Wednesday, October 19, 2011

एसएसबी नेपालीके घर तोडलाबाद माओवादीक विरोध


२ कात्तिक, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी कञ्चनपुरके भिमदत्तनगर नगरपालिका-११ भुजेलामे नेपालीके घर तोडनेमे विरोध केलक अछि ।

माओवादी प्रवत्ता दिनानाथ शर्मा आइ विज्ञप्ती जारी कऽ घटनाके नेपालक राष्ट्रिय अखण्डता, स्वतन्त्रता आ सार्वभौमिकता उपरके हस्तक्षेप, सीमाक्षेत्रके वासीसबके शान्तिपूर्ण बाँचय पाबयके अधिकारक हरण आ अन्तर्राष्ट्रिय कानुन समेतके उल्लघन रहल बतौलनि अछि ।

दु देशबीचक सम्बन्धके सुमधुर आ सुदृढ करयके सन्दर्भमे प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईसँ होबय जाऽ रहल भारतक भ्रमणके पूर्वसन्ध्यामे भारतीय सीमा सुरक्षाबलसँ अहि प्रकारक क्रियाकलाप होनाइ बिडम्वनापूर्ण रहल  माओवादीक कहब अछि ।

एहन क्रियाकलापसँ दु देशबीचक सम्बन्धमे असहजता मात्रे उत्पन्न कराओत कहैत माओवादी ओइके अबिलम्ब रोकय भारत सरकारसँग आग्रह समेत केलक अछि । आसिन ३० गते एसएसबी कञ्चनपुरके भिमदत्तनगर-११ भुजेलामे अनधिकृत रूपमे प्रवेश कऽ नेपालीके तीन टा घर तोडिदेने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन