Wednesday, October 19, 2011

रक्षामन्त्रीके फिर्ता बजाबयके फोरम लोकतान्त्रिकके निर्णय निर्णयप्रति भण्डारीसहितक नेतासब असन्तुष्ट


२ कात्तिक, काठमाडौं । विपक्षी दलसबहक  कडा दबावके बाद मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक राष्ट्रियताबारे विवादास्पद अभिव्यक्ति देने रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारीके सरकारसँ फिर्ता बजाबयके निर्णय केलक अछि ।

पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल फोरम लोकतान्त्रिक राजनीतिक समितिक बैसारसँ किछ नेतासबहक बहिस्कारक बीच भण्डारीके सरकारसँ फिर्ता बजाबयके निर्णय केलक अछि । बैसारबाद आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे पार्टी अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रियता विरोधी नहि भेल मुदा, विपक्षीसबके कडा सदन अवरोधके कारण शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रिया अवरुद्ध होबयके अवस्था ऐलासँ रक्षामन्त्रीके फिर्ता बजाबयके निर्णय कएलगेल जानकारी देलनि ।

निर्णयप्रति असहमति जनबैत रक्षामन्त्री भण्डारी, प्रमोदकुमार गुप्ता सहितक किछ नेतासब राजनीतिक समितिके बैसार बहिस्कार केने छलथि । भण्डारीके सामर्थकसब राजनीतिक समितिके निर्णय मधेस विरोधी रहल कहैत  पार्टी कार्यालयमे प्रदर्शन केलक अछि । वायह क्रममे किछ तनाव समेत उत्पन्न भेल छल ।

मधेसक २२ जिल्ला नेपालसँ अलग होबयके निर्णय करत तऽ  कुन कानुन आ संविधान रोकत कहि रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल कहैत विपक्षी दलसब भण्डारीके राजीनामा मँगैत आएल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन