![]() |
Add caption |
काठमाडौं, कार्तिक २ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी आ भूमिसुधार मन्त्री प्रभू साहके पदमुक्त केने घोषणा केलनि अछि ।
दु मन्त्रीके हटाबयके माँग करैत प्रतिपक्षी दल एक सप्ताहसँ संसदक बैसार अबरुद्ध केलाबाद प्रधानमन्त्री आइ संसदक बैसारमे उपस्थित छलथि । ओ दुनु मन्त्रीके सम्बन्धित दलके सिफारिसमे हटौने जानकारी करौलनि ।
भण्डारीउपर देश विखण्डन करयके अभिव्यक्ति देने आ साह उपर बीरगन्जमे विश्व हिन्दू यूवा संघक अध्यक्ष काशीनाथ तिवारीके हत्याक आरोप छल । साह अहिसँ आगुए राजीनामा द ऽ चुकल छथि तऽ भण्डारीके हुनक दल फोरम लोकतान्त्रिक फिर्ता बजाबयके निर्णय करितो ओ राजीनामा नहि देने छथि ।
No comments:
Post a Comment