Wednesday, October 19, 2011

विरोध जुलुस प्रर्दशन


जलेश्वर, कातिक २  रक्षामन्त्रीके समर्थनमे आ प्रतिपक्षके विरोधमे महोत्तरीके जलेश्वरमे आइ बेरियमे विरोध ¥याली निकालल गेल अछि ।
मधेशीजनअधिकार फोरम नेपाल लोकतान्त्रिक प्रतिपक्षीसब सदन अवरुद्ध कऽ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके ओझराहटमे राखि मधेशीसबहक समानताके हकसँ बन्चित करा रहल कहैत ओइके विरोधमे विरोध जुलुसक आयोजना केने छल । 
पार्टी कार्यालयसँ शुरु भेल जुलुस नगरक विभिन्न भागके परिक्रमा करैत शंकर मन्दिर पहुँच कऽ कोणसभामे परिणत भेल छल । जुलुसमे नारावाजी समेत कएलगेल छल ।
      लोकतान्त्रिकके जिल्ला अध्यक्ष मोजिम राइनके नेतृत्वमे निकलल जुलुसमे जिल्लाके विभिन्न गाउँ विकास समितिके सयौं महिला, पुरुष कार्यकर्तासबहक सहभागिता छल ।
      जुलुसके बाद आयोजित कोणसभामे अध्यक्ष मोजिम राइन नेतासब केदारनाथ पाठक सहितकसब अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि ।
      रक्षामन्त्री भण्डारी राष्ट्रियता विरोधी आ राष्ट्र विखण्डनके अभिव्यक्ति देने कहैत हुनक राजिनामाके माँग उठि रहल समयमे हुनके पार्टीके नेता कार्यकर्तासब राजिनामा नहि देबय कहैत समर्थनमे काल्हि चक्काजाम सेहो  केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन