Tuesday, October 25, 2011

पशुपति क्षेत्र विकास कोषक पदाधिकारीके हटाबयके तयारी


८ कार्तिक, काठमाडौं । संस्कृतिमन्त्री गोपाल किराँती पशुपति क्षेत्र विकास कोषक सदस्य सचिव सहितक पदाधिकारीसबके हटाबयके तयारी भऽ रहल जानकारी देलनि अछि ।

पशुपतिनाथमे चढयबला रुपैयापैसाके पारदर्शी बनाबय निर्देशन दैलापर सहयोग केने आरोप लगबैत एखुनक पदाधिकारीके हटाबय महान्यायधिवक्तासँग सल्लाह भऽ रहल बतौलनि । आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे मन्त्री किराँती कहलनि -राजीनामा सेहो नहि देबयके सरकारक नीति सेहो कार्यान्वयन नहि करत तऽ हम कोषके पदाधिकारीके निकालब ।सर्वोच्च अदालत हुनकासबहक पक्षमे अन्तरिम आदेश देलासँ न्यायालयके सम्मान करैत केहन निकास निकालल जा सकैय से कहि कऽ महान्यायाधिवक्तासँग बिमर्श भऽ रहल ओ बतौलनि । ओ पशुपतिके नगद जिन्सी सार्वजनिक कऽ क आर्थिक पारदर्शिता अपनाबय लेल जोड देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन