Saturday, October 15, 2011

पार्टी नहि फुटत, एकटा अँग सुखि कऽ जाएतः प्रचण्ड


२८ आसिन, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ हालके  जारी विवादसँ पार्टीके एकटा हिस्सा सुखि कऽ जाएत खुलासा कएलनि अछि ।

चितवनके भरतपुरस्थित ग्लोबल होटलमे आइ भिन्सर कार्यकर्तासबसँग बातचित करैत प्रचण्ड विवादसँ पार्टी नहि फुटत मुदा, एकटा हिस्सा सुखि कऽ जाएत बतौलनि । उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षदिस लक्षित करैत प्रचण्ड शान्ति आ संविधानक विरोध कऽ क जनविद्रोहके बात करयबलासब पार्टीभितर  क्रमश असगर होइत जाएत तर्क कएलनि ।

माओवादी २०५२ सालमे जनयुद्ध सुरु करैतके समय आ हालके समयमे फेरबदल अएलासँ विद्यमान अवस्थामे नयाँ जनवादी क्रान्ति नहि हाएत स्पष्ट कएलनि । पार्टीके नयाँ ढंगसँ सञ्चालन करय चाहला पर आन्तरिक बिबाद बढल कहैत ओ परम्परागत ढंगसँ सञ्चालन करय खोजल गेल तऽ पार्टी आ क्रान्तिके भविष्य समाप्त होबय सकत बतौलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन