Saturday, October 15, 2011

गर्दन काटि कऽ फेकल शवके भेल पहिचान


जलेश्वर, आसिन २८ । महोत्तरीके आगेपुर पुल निचा बिना गर्दनके अवस्थामे वरामद भेल शवके पहिचान आइ ३ दिन बाद भेल अछि ।
ओ शव भारतक बेनीपट्टी स्थित दुर्गास्थानके हरिकुमार साहके ३५ वर्षक बेटा प्रदीपकुमार साहके रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी जनौलक अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीके प्रहरी नायव उपरिक्षक केदार खनालक अनुसार जनकपुरमे मिट्ठाके व्यापार करैत आबि रहल साहके कतौक दोसरे ठाम मारि कऽ ओतय फेकने अबस्थामे बरामद भेल छल । शवके माथके हिस्सा अखनो भेटय नहि सकल ओ बतौलनि ।
      जनकपुरजलेश्वर सडक खण्डके पर्सा गाउँसँ दक्षिण आ प्रकौली सँ उत्तरमे रहल आगेपुलके निचा बृहस्पतिदिन साँझमे गर्दन काटल अवस्थामे फेकल शव भेटल छल ।
ओ शवके पहिचान मृतकके पत्नी जनकपुर स्थित आसमान नेपालमे काम करैत आएल ममता साह केलिह अछि । मृतकके दहिना हातके आँगुरमे रहल चाँदीके औठी तथा जनकपुरक जानकी अस्पताल लग भेटल शर्टके आधारमे सनाखत कएल गेल पुलिस जनौलक अछि । मुदा हत्याक कारण आ हत्याराके पत्ता अखनधरि लागय नहि सकल  पुलिसक कहब अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन