Saturday, October 15, 2011

राज्यमन्त्रीके सपथ नहि भेलासँ मोर्चा भितर असन्तुष्टि


काठमाडौ, आश्विन २८ । राज्यमन्त्रीके लेल पार्टीसँ नाम सिफारिस भेल लम्बा समय बितलाक बादो सपथ ग्रहण नहि भेलासँ संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाके दलसब भितर असन्तुष्टि बढैत गेल अछि ।

भादव २९ गते तेसर बेर मन्त्रिपरिषद विस्तार भेल दिन राज्यमन्त्रीसब सेहो सपथ लेबयके तयारी होइतो अन्तिम समयमे रोकलगेल छल । नाम चर्चामे अबितो सपथ लेबय नहप पौअलासँ राज्यमन्त्रीके लेल सिफारिस कएलगेल सभासदसब निराश भेल अछि । नाम उल्लेख नहि करयके शर्तमे एक गोट राज्यमन्त्रीमे सिफारिस कएल गेल मोर्चाक सभासद कहलनि जे-'अइमे प्रधानमन्त्री या दोसरके दोष नहि अछि ।   मोर्चाक शीर्ष नेतासबहक कमजोरीसँ भेल अछि । बाहर निकलनाइ मुश्किल भेल अछि ,राज्यमन्त्रीके लेल नाम सार्वजनिक भेल मुदा सपथ नहि भेल, जतय जाइछी सब प्रश्न करैत अछि सपथ कहिया हाएत ?'

ओ समयमे कहलगेल छल जे प्रधानमन्त्री अमेरिका भ्रमणसँ एलाबाद सपथ हाएत मुदा अखन प्रधानमन्त्रीके घुरला बहुत समय बितलाक बादो ओकर चर्चा नहि अछि । समय ऐलाबाद हमसब कठोर निर्णय लेबय बाध्य हाएब दोसर एक गोटे असन्तुष्ट सभासद कहलनि ।'

फोरम लोकतान्त्रिक गृहमे भीमराज राजवंशी,रक्षामे रामबच्चन अहिर, वातवरणमे दुर्गादेवी महतो आ वनमे लक्ष्मण मेहताके राज्यमन्त्रीके रुपमे नाम सिफारिस केने छल । अहिना तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीसँ भौतिक योजना तथा निर्माणमे ईश्वरदयाल मिश्र आ कानुन,न्यायमे काशीदेवी झाके नाम राज्यमन्त्रीके लेल चर्चामे आएल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन