Saturday, October 15, 2011

शान्ति आ संविधानक विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय लेल जाएत प्रधानमन्त्री


२८ आसिन, चितवन । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके आगु वढाबयके विषयमे जल्दिए महत्वपूर्ण निर्णय लेल जाएत बतौलनि अछि ।

वर्तमान सरकारक मुख्य काम शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके पुरा केनाइ रहल बतबैत ओ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान लेखन कार्यके आगु वढाबयके विषयमे दलसबसंग बिमर्श भऽ रहल बतौलनि अछि ।

कम्युनिस्ट नेता खम्बासिंह कुवरके सम्मान कार्यक्रममे सहभागी होबय आइ चितवन पहुँचल प्रधानमन्त्री भट्टराई भरतपुर विमानस्थलमे पत्रकारसबसँग बातचित करैत जल्दिए प्रमुख दलसबसंग सहमति कऽ शान्ति आ संविधानमे केन्द्रीत हाएब वतौलनि ।

एकटा दोसर प्रसङ्गमे प्रधानमन्त्री भट्टराई विपक्षीसब बहुदलीय प्रतिस्पर्धात्मक राजनीतिमे विरोध केनाइ स्वभाविक रहल वतबैत  ‌ओइके अपने स्वभाबिक रुपमे लेने बतौलनि । सस्ता लोकप्रियताके लेल सरकार काम कऽ रहल दलसबहक आरोपके खण्डन करैत प्रधानमन्त्री भट्टराई लोकप्रियता सब पाबय नहि सकत बतबैत जनताक पक्षमे काम केनाइ सस्ता लोकप्रियता नहि रहल जिकिर कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन